कैलाश सत्यार्थी Kailash Satyarthi | |
---|---|
![]() कैलाश सत्यार्थी | |
जन्म | |
राष्ट्रियता | भारतीय |
शिक्षा | सम्राट अशोक प्रौद्योगिकी संस्थान, विदिशा[१] |
व्यवसाय | बाल अधिकार कार्यकर्ता, प्रारम्भिक बाल शिक्षा कार्यकर्ता[१] |
प्रसिद्धि कारण | सक्रियतावादक लेल |
पुरस्कार | द अचेनर अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति पुरस्कार, जर्मनी (१९९४) रोबर्ट यफ कैनेडी मानवाधिकार पुरस्कार (१९९५) इतालवी सीनेटक पदक (२००७) अल्फोन्सो कोमिन अन्तर्राष्ट्रिय पुरस्कार (२००८) लोकतन्त्रक रक्षक पुरस्कार (२००९) नोबेल शान्ति पुरस्कार (२०१४)[२] |
वेबसाइट | kailashsatyarthi.net |
कैलाश सत्यार्थी (जन्म: ११ जनवरी १९५४) एक भारतीय बाल अधिकार कार्यकर्ता आ बाल-श्रमक विरुद्ध पक्षधर छी। ओ सन् १९८० मे बचपन बचाओ आन्दोलनक स्थापना केनए छल जकर बादसँ ओ विश्व भरिक १४४ देशक ८३,००० सँ अधिक बच्चासभ क अधिकार रक्षाक लेल कार्य कऽ चुकल अछि। सत्यार्थीक मानवीय काजक कारणसँ सन् १९९९ मे अन्तर्राष्ट्रिय श्रम सङ्घद्वारा बाल श्रमक निकृष्टतम श्रेणीसभ पर सन्धीसँ १८२क अङ्गीकृत कएल गेल, जे आब दुनियाभरिक सरकार क लेल एहि क्षेत्रमे एक प्रमुख मार्गनिर्देशक छी।
कैलाश सत्यार्थीक कार्यक लेल हुनका विभिन्न राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय सम्मान आओर पुरस्कारद्वारा सम्मानित कएल गेल अछि। सन् २०१४ मे हुनका आ पाकिस्तानक नारी शिक्षा कार्यकर्ता मलाला युसुफजईक सम्मिलित रूपसँ नोबेल शान्ति पुरस्कार प्रदान कएल गेल छल।[३]
भारतक मध्य प्रदेशक विदिशामे जन्म भेल कैलाश सत्यार्थी 'बचपन बचाओ आन्दोलन' चलबैत अछि। ओ पेशासँ विद्युत इन्जिनियर छी मुदा ओ २६ वर्षक उमरसँ करियर छोड़ि बच्चासभक लेल काम करऽ लेल शुरू कऽ देनए छल। एहि समय ओ 'ग्लोबल मार्च अगेन्स्ट चाइल्ड लेबर' (बाल श्रमक विरुद्ध वैश्विक अभियान)क अध्यक्ष सेहो छी।[४]
वर्तमान समयमे सत्यार्थी नयाँ दिल्लीमे रहैत अछि। कैलाश सत्यार्थीक परिवारमे हुनकर पत्नी सुमेधा, पुत्र, पुत्रवधू तथा पुत्री अछि। सामाजिक कार्य अतिरिक्त ओ एक बढिया पाकशास्त्री सेहो छी।
![]() |
विकिक्वोट पर कैलाश सत्यार्थी सँ सम्बन्धित उद्धरण अछि। |